Sunday, 20 May 2018

हमर परिचय हमर कविता


नाम रमन  गाम हमर अवाम
जन्म राघोपुर तिथि अछि
मई उन्नीस , साल १९६०
काज  चाकरी  परिषद् विधान
 मास्टर प्रबंधन (MBA ) छी
 छी पटना ठाम भेल दड़िभंगा
 जून सत्रह १९८२  भेल विवाह बंधन
सासुर  भौर राजग्राम मधुबनी क एक गाम
 खण्डवला क  कन्या छैथ अर्धांग्नी  वंदन
 ऋषि आ दिव्या छैथ दू संतान .
मातृक भेल राघोपुर कहबैत अछि ड्योढ़ी
बाबू  कृष्णनंदन सिंह क  दोभित्र ,
पौत्र छी प्रभृत छवि
बाबू  भगवान दत्त  हुनक नाम
पुत्र  कमला दत्त क, सहोदर  हम पांच
मूल कर्महे तरौनी विष्णुपुरी क डीह
 मिथिला तत्व विमर्श में लिखल  कूल मूल वृतांत  .
कॉलेज - स्कूल -मंदिर लेल भू  दान
  पूज्य पिता केलैथ कूल क नाम
दू पोथी आंग्ल   भाषा मे
 अनुवादित क हमहू कायल सकाम
एतवे अछि परिचय  अपने सबके प्रणाम .